2 Corinthians 4:2 — Compare Translations

1 translations compared side by side

Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
हम सभ ठोस निर्णय लेने छी जे कोनो नीचता वला गुप्‍त काज नहि करब। हम सभ ने तँ छल-कपट करैत छी आ ने परमेश्‍वरक वचन मे हेर-फेर करैत छी, बल्‍कि हम सभ स्‍पष्‍ट रूप सँ सत्‍य प्रस्‍तुत कऽ कऽ प्रचार करैत छी। एहि सँ प्रत्‍येक मनुष्‍य देखि सकैत अछि जे हम सभ परमेश्‍वर केँ उपस्‍थित मानि शुद्ध मोन सँ सत्‍यक प्रचार करैत छी।