Acts 28:17 — Compare Translations

1 translations compared side by side

Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
तीन दिनक बाद पौलुस रोमक प्रमुख यहूदी सभ केँ बजौलनि। ओ सभ जखन आबि गेलाह तँ पौलुस हुनका सभ केँ कहलथिन, “बाबू-भैया लोकनि, हम अपना सभक यहूदी जातिक विरोध मे वा पूर्वज सभक प्रथाक विरोध मे किछु नहि कयने छी, मुदा तैयो यरूशलेमक यहूदी सभ हमरा बन्‍दी बना कऽ रोमी सभक हाथ मे सौंपि देलनि।