Colossians 4:10 — Compare Translations

1 translations compared side by side

Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
अरिस्‍तर्खुस, जे एतऽ हमरा संग जहल मे बन्‍दी छथि, आ मरकुस, जे बरनबासक भाय लगैत छथि, से सभ अहाँ सभ केँ नमस्‍कार कहैत छथि। मरकुसक विषय मे अहाँ सभ केँ आदेश देल गेल अछि; ई जँ अहाँ सभक ओतऽ पहुँचथि तँ अहाँ सभ हिनकर आदर-सत्‍कार करिऔन।