Galatians 4:24 — Compare Translations

1 translations compared side by side

Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
ई बात सभ दृष्‍टान्‍तक रूप मे बुझल जा सकैत अछि—ई दूटा स्‍त्रीगण दूटा विशेष सम्‍बन्‍ध पर संकेत करैत अछि जे परमेश्‍वर अपना लोकक संग स्‍थापित कयलनि। एक स्‍त्री, हागार, सीनय पहाड़ पर स्‍थापित कयल विशेष सम्‍बन्‍ध पर संकेत करैत अछि जे धर्म-नियम पर केन्‍द्रित अछि। एहि सम्‍बन्‍धक अधीन रहऽ वला सभ लोक गुलाम होइत अछि जहिना हागारक बच्‍चा छल।