Hebrews 9:5 — Compare Translations

1 translations compared side by side

Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
सन्‍दूक पर दूटा एहन स्‍वर्गदूतक प्रतिमा छल जाहि स्‍वर्गदूत केँ “करूब” कहल जाइत छनि जे परमेश्‍वरक महिमामय उपस्‍थितिक प्रतीक छथि। ओहि प्रतिमा सभक पाँखि सन्‍दूकक झाँप जकरा “प्रायश्‍चित्तक आसन” कहल जाइत छल तकरा उपर फलकल रहैत छल। मुदा एहि सभ बातक विस्‍तार सँ चर्चा कयनाइ एखन सम्‍भव नहि अछि।