John 18:25 — Compare Translations

1 translations compared side by side

Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
एम्‍हर सिमोन पत्रुस आगि तपैत ठाढ़ छलाह। तँ लोक सभ हुनका पुछलकनि, “की अहूँ ओकरे चेला सभ मे सँ नहि छी?” ओ अस्‍वीकार करैत बजलाह, “हम नहि छी।”