bible
ra
🌐 Language
English
Español
Français
Deutsch
Português
Italiano
Nederlands
Русский
中文
日本語
한국어
العربية
Türkçe
Tiếng Việt
ไทย
Indonesia
All Languages
Home
/
Maithili
/
Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
/
John 11
John 11
Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
← Chapter 10
Jump to:
Chapter 1
Chapter 2
Chapter 3
Chapter 4
Chapter 5
Chapter 6
Chapter 7
Chapter 8
Chapter 9
Chapter 10
Chapter 11
Chapter 12
Chapter 13
Chapter 14
Chapter 15
Chapter 16
Chapter 17
Chapter 18
Chapter 19
Chapter 20
Chapter 21
Chapter 12 →
1
एक लाजर नामक आदमी, जे बेतनिया गामक छलाह, बहुत बिमार भऽ गेल छलाह। बेतनिया गाम मरियम आओर हुनकर बहिन मार्थाक गाम छल।
2
ई मरियम वैह छथि जे यीशुक पयर पर सुगन्धित तेल ढारि कऽ हुनकर पयर अपना केश लऽ कऽ पोछि देलनि। तँ लाजर एहि मरियमक भाय छलाह।
3
दूनू बहिन यीशु केँ खबरि पठा देलनि जे, “प्रभु, अहाँक प्रिय मित्र बिमार अछि।”
4
यीशु ई सुनि कऽ बजलाह, “एहि बिमारीक अन्त मृत्यु नहि होयत। ई एहि लेल भेल जे परमेश्वरक महिमा प्रगट होयतनि, और जाहि सँ एहि द्वारा परमेश्वरक पुत्रक महिमा प्रगट होयत।”
5
यीशु मार्था, हुनकर बहिन मरियम, और लाजर सँ बहुत प्रेम करैत छलथिन,
6
मुदा तैयो ई खबरि जखन सुनलनि, जे लाजर बिमार छथि, तखन ओ जाहिठाम छलाह ताहिठाम दू दिन आओर रहि गेलाह।
7
तखन ओ अपन शिष्य सभ केँ कहलथिन, “आब फेर यहूदिया प्रदेश चलू।”
8
ओ सभ कहलथिन, “गुरुजी, किछुए दिन पहिने यहूदी सभ पाथर मारि कऽ अहाँ केँ मारि देबऽ चाहैत छलाह, आ तैयो अहाँ ओतऽ फेर जाय चाहैत छी?”
9
यीशु बजलाह, “की दिन मे बारह घण्टा नहि होइत छैक? जँ केओ दिन मे चलैत अछि तँ ओकरा ठेस नहि लगैत छैक, कारण ओ एहि संसारक इजोत केँ देखैत अछि।
10
मुदा राति मे जँ चलैत अछि तँ ठेस लगैत छैक कारण ओकरा कोनो इजोत नहि छैक।”
11
ई कहि यीशु हुनका सभ केँ आगाँ कहलथिन, “अपना सभक मित्र लाजर सुति रहलाह, मुदा हम हुनका जगयबाक लेल जाइत छी।”
12
शिष्य सभ हुनका कहलथिन, “प्रभु, जँ ओ सुति रहल छथि तँ ओ नीकैं भऽ जयताह।”
13
यीशु हुनकर मृत्युक सम्बन्ध मे ई कहने छलथिन मुदा शिष्य सभ बुझलनि जे ओ स्वभाविक निन्दक सम्बन्ध मे कहि रहल छथि।
14
तखन यीशु हुनका सभ केँ स्पष्ट कहलथिन, “लाजर मरि गेल छथि।
15
और अहाँ सभक कारणेँ हमरा खुशी अछि जे हम ओतऽ नहि छलहुँ, जाहि सँ अहाँ सभ विश्वास करी। मुदा आउ, अपना सभ आब हुनका लग चली।”
16
तखन थोमा, जे “जौंआ” कहबैत छथि, से आरो शिष्य सभ केँ कहलथिन, “आउ, अपनो सभ हिनका संग मरऽ लेल चली।”
17
ओतऽ पहुँचला पर यीशु केँ पता लगलनि जे लाजर केँ कबर मे रखला चारि दिन भऽ गेल अछि।
18
बेतनिया यरूशलेम सँ एक कोस सँ कनेक कम दूर छल,
19
और बहुत यहूदी लोक मार्था आओर मरियमक भायक मरला पर सान्त्वना देबाक लेल हुनका सभक ओहिठाम आयल छलनि।
20
मार्था जखन सुनलनि जे यीशु आबि रहल छथि तँ हुनका भेँट करऽ गेलीह, लेकिन मरियम घर मे बैसल रहलीह।
21
मार्था यीशु केँ कहलथिन, “प्रभु, अहाँ जँ एतऽ रहितहुँ तँ हमर भाय नहि मरल रहैत।
22
मुदा हम जनैत छी जे एखनो अहाँ जे किछु परमेश्वर सँ मँगबनि, से अहाँ केँ ओ देताह।”
23
यीशु बजलाह, “अहाँक भाय फेर जीबि उठत।”
24
मार्था बजलीह, “हम जनैत छी जे अन्तिम दिन मे जखन मुइल सभ जीबि उठत तखन ओहो जीबि उठत।”
25
यीशु हुनका कहलथिन, “जीबि उठाबऽ वला और जीवन देबऽ वला हमहीं छी। जे केओ हमरा पर विश्वास करैत अछि, से जँ मरिओ जायत, तैयो जीअत।
26
और जे केओ हमरा मे जीबैत अछि और विश्वास करैत अछि, से कहियो नहि मरत। की एहि पर विश्वास करैत छी?”
27
मार्था हुनका उत्तर देलथिन, “हँ प्रभु, हम विश्वास करैत छी जे अहाँ उद्धारकर्ता-मसीह छी, परमेश्वरक पुत्र छी, जे संसार मे आबऽ वला छलाह।”
28
ई कहि ओ अपन बहिन मरियम केँ बजयबाक लेल गेलीह, और हुनका अलग लऽ जा कऽ कहलथिन, “गुरुजी आबि गेलाह, तोरा बजबैत छथुन।”
29
ई बात सुनितहि, मरियम जल्दी सँ उठि कऽ हुनका लग गेलीह।
30
यीशु एखन गाम मे नहि आयल छलाह, बल्कि ओहि स्थान पर छलाह जाहिठाम मार्था हुनका सँ भेँट कयने छलीह।
31
यहूदी सभ, जे मरियम केँ सान्त्वना दैत हुनका संग घर मे छलनि, से सभ जखन हुनका जल्दी उठि बाहर जाइत देखलकनि, तँ हुनका पाछाँ-पाछाँ गेल, ई बुझि कऽ जे ओ कबर पर विलाप करऽ जा रहल छथि।
32
मरियम जखन ओहिठाम पहुँचलीह जाहिठाम यीशु छलाह, तँ हुनका देखि हुनका पयर पर खसि कऽ बजलीह, “प्रभु, अहाँ जँ एतऽ रहितहुँ तँ हमर भाय नहि मरैत।”
33
यीशु जखन हुनका विलाप करैत देखलथिन, और यहूदी सभ, जे हुनका संग आयल छल, तकरो सभ केँ विलाप करैत देखलनि तँ हुनका बहुत दुःख भेलनि और ओ व्याकुल भऽ गेलाह।
34
ओ पुछलथिन, “हुनका कतऽ रखने छिऐन?” ओ सभ उत्तर देलथिन, “प्रभु, चलि कऽ देखि लिअ।”
35
यीशु कानऽ लगलाह।
36
तखन यहूदी सभ कहलक, “देखू, ओकरा सँ कतेक प्रेम करैत छलथिन।”
37
मुदा ओकरा सभ मे सँ किछु लोक कहलक, “ई जे आन्हर केँ आँखि खोलि देलथिन, से की एहि आदमीक मरनाइ नहि रोकि सकलाह?”
38
यीशु फेर बहुत दुखी भऽ कऽ कबर लग गेलाह। ओ कबर एक गुफा छल, जकरा दुआरि पर एकटा बड़का पाथर राखल छलैक।
39
यीशु कहलथिन, “पाथर हटा दिअ!” मृतकक बहिन, मार्था, हुनका कहलथिन, “प्रभु, आब बहुत महकैत होयत। ओकरा मरला तँ चारि दिन भऽ गेल छैक।”
40
यीशु बजलाह, “की, हम अहाँ केँ नहि कहलहुँ जे जँ अहाँ विश्वास करब तँ परमेश्वरक महिमा देखब?”
41
तखन ओ सभ पाथर हटा देलनि, और यीशु ऊपर ताकि कऽ कहलनि, “पिता, हम अहाँ केँ धन्यवाद दैत छी जे अहाँ हमर सुनि लेने छी।
42
ओना तँ हम जनैत छी जे अहाँ सदिखन हमर सुनि लैत छी, मुदा हम ई बात एहिठाम ठाढ़ भेल लोकक कारणेँ कहलहुँ, जाहि सँ ओ सभ विश्वास करय जे अहाँ हमरा पठौने छी।”
43
ई बात कहि, यीशु जोर सँ सोर पारलनि, “लाजर! बाहर निकलि आउ!”
44
और ओ मृतक बाहर निकलि अयलाह। हुनकर हाथ-पयर पट्टी सँ बान्हल छलनि, और हुनकर मुँह अंगपोछा सँ लेपटल छलनि। यीशु लोक सभ केँ कहलथिन, “हुनका खोलि दिऔन और जाय दिऔन।”
45
एहि कारणेँ यहूदी सभ जे मरियम सँ भेँट करबाक लेल आयल छल, और जे यीशुक ई काज देखने छल, तकरा सभ मे सँ बहुतो हुनका पर विश्वास कयलकनि।
46
मुदा किछु यहूदी सभ फरिसी सभक ओहिठाम जा कऽ कहि देलकैक जे यीशु की कयलनि।
47
तेँ मुख्यपुरोहित और फरिसी सभ धर्म-महासभाक सदस्य सभ केँ बजा लेलनि। ओ सभ आपस मे कहऽ लगलाह, “अपना सभ की कऽ रहल छी? ई तँ बहुत चमत्कारपूर्ण चिन्ह देखा रहल अछि!
48
एकरा ई सभ करैत छोड़ि देबैक तँ एकरा पर सभ केओ विश्वास करतैक, और रोमी सभ आबि कऽ अपना सभक पवित्र स्थान और राष्ट्र दूनू नष्ट कऽ देत।”
49
तखन हुनका सभ मे सँ काइफा नामक एक गोटे, जे ओहि वर्षक महापुरोहित छलाह से बजलाह, “अहाँ सभ किछुओ नहि जनैत छी!
50
अहाँ सभ केँ फुरयबो नहि करैत अछि जे अहाँ सभ केँ की नीक होइत। नीक तँ ई होइत जे एके आदमी जनताक लेल मरैक, और ई नहि जे पूरा राष्ट्र नाश भऽ जाय।”
51
ई बात ओ अपने सँ नहि, बल्कि ओहि वर्षक महापुरोहित होयबाक कारणेँ कहलनि, मुदा हुनको नहि बुझल छलनि जे ई भविष्यवाणी भऽ गेल जे यीशु यहूदी राष्ट्रक बदला मे मरताह,
52
और मात्र ओहि राष्ट्रक लेल नहि, बल्कि परमेश्वरक एम्हर-ओम्हर छिड़िआयल सन्तानक लेल सेहो, जाहि सँ ओ ओकरा सभ केँ एक ठाम जमा कऽ कऽ एक करथि।
53
तँ ओहि दिन सँ ओ सभ हुनका जान सँ मारि देबाक षड्यन्त्र करऽ लगलाह।
54
फलस्वरूप यीशु आब यहूदी सभक बीच मे खुलि कऽ नहि घुमैत छलाह। ओ निर्जन क्षेत्रक कात मे इफ्राइम नामक गाम मे जा कऽ ओतहि अपना शिष्य सभक संग रहऽ लगलाह।
55
जखन यहूदी सभक फसह-पाबनि लग आबि गेल तखन बहुत लोक अपना केँ शुद्ध करबाक विधिक लेल पाबनि सँ पहिनहि देहात सँ यरूशलेम आयल।
56
ओ सभ यीशु केँ तकैत छलनि, और मन्दिर मे ठाढ़ एक-दोसर सँ पुछैत छल जे, “अहाँ की सोचैत छी? ओ पाबनिक लेल नहिए औताह की?”
57
कारण मुख्यपुरोहित और फरिसी सभ आज्ञा देने छलाह जे, जँ ककरो पता लागि जाइक जे यीशु कतऽ छथि तँ ओ हुनका सभ केँ सूचना दऽ दिअय, जाहि सँ ओ सभ हुनका पकड़ि सकथि।
← Chapter 10
Jump to:
Chapter 1
Chapter 2
Chapter 3
Chapter 4
Chapter 5
Chapter 6
Chapter 7
Chapter 8
Chapter 9
Chapter 10
Chapter 11
Chapter 12
Chapter 13
Chapter 14
Chapter 15
Chapter 16
Chapter 17
Chapter 18
Chapter 19
Chapter 20
Chapter 21
Chapter 12 →
All chapters:
1
2
3
4
5
6
7
8
9
10
11
12
13
14
15
16
17
18
19
20
21