bible
ra
🌐 Language
English
Español
Français
Deutsch
Português
Italiano
Nederlands
Русский
中文
日本語
한국어
العربية
Türkçe
Tiếng Việt
ไทย
Indonesia
All Languages
Home
/
Maithili
/
Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
/
Matthew 1
Matthew 1
Maithili - 2010 (Jivən Səndesh)
Jump to:
Chapter 1
Chapter 2
Chapter 3
Chapter 4
Chapter 5
Chapter 6
Chapter 7
Chapter 8
Chapter 9
Chapter 10
Chapter 11
Chapter 12
Chapter 13
Chapter 14
Chapter 15
Chapter 16
Chapter 17
Chapter 18
Chapter 19
Chapter 20
Chapter 21
Chapter 22
Chapter 23
Chapter 24
Chapter 25
Chapter 26
Chapter 27
Chapter 28
Chapter 2 →
1
यीशु मसीहक वंशावली एहि तरहेँ अछि। ओ दाऊदक वंशज छलाह, आ दाऊद अब्राहमक वंशज*।
2
अब्राहम सँ इसहाकक जन्म भेलनि। इसहाक सँ याकूबक, आ याकूब सँ यहूदा और हुनकर भाय सभक जन्म भेलनि।
3
यहूदा सँ पेरस और जेरहक जन्म भेलनि, जिनकर सभक मायक नाम तामार छलनि। पेरस सँ हेस्रोनक आ हेस्रोन सँ अरामक जन्म भेलनि।
4
अराम सँ अमीनादाबक, अमीनादाब सँ नहशोनक आ नहशोन सँ सलमोनक जन्म भेलनि।
5
सलमोन सँ बोअजक जन्म भेलनि, जिनकर माय राहाब छलीह। बोअज सँ ओबेदक जन्म भेलनि, जिनकर माय रूथ छलीह। ओबेद सँ यिशयक जन्म भेलनि।
6
यिशय सँ राजा दाऊदक जन्म भेलनि। दाऊद सँ सुलेमानक जन्म भेलनि। सुलेमानक माय पहिने उरियाहक स्त्री भेल छलीह।
7
सुलेमान सँ रेहोबामक, रेहोबाम सँ अबियाहक, और अबियाह सँ आसाक जन्म भेलनि।
8
आसा सँ यहोशाफातक, यहोशाफात सँ योरामक, आ योराम सँ उजियाहक जन्म भेलनि।
9
उजियाह सँ योतामक, योताम सँ आहाजक, और आहाज सँ हिजकियाहक जन्म भेलनि।
10
हिजकियाह सँ मनश्शेक, मनश्शे सँ आमोनक, और आमोन सँ योशियाहक जन्म भेलनि।
11
जाहि समय मे इस्राएली सभ बन्दीक रूप मे बेबिलोन देश लऽ जायल गेलाह, ताहि समय मे योशियाह सँ यकोन्याह आ हुनकर भाय सभक जन्म भेलनि।
12
इस्राएली सभ केँ बेबिलोन मे लऽ जायल गेलाक बाद यकोन्याह सँ शालतिएलक, आ शालतिएल सँ जरुब्बाबेलक जन्म भेलनि।
13
जरुब्बाबेल सँ अबीहूदक, अबीहूद सँ एलयाकीमक, और एलयाकीम सँ अजोरक जन्म भेलनि।
14
अजोर सँ सदोकक, सदोक सँ अखीमक, और अखीम सँ एलिहूदक जन्म भेलनि।
15
एलिहूद सँ एलिआजरक, एलिआजर सँ मत्तानक, और मत्तान सँ याकूबक जन्म भेलनि।
16
याकूब सँ यूसुफक जन्म भेलनि, जे मरियमक पति भेलाह, आ मरियम सँ यीशुक जन्म भेलनि जे “मसीह” कहबैत छथि।
17
एहि तरहेँ गनला सँ अब्राहम सँ दाऊद धरि चौदह पीढ़ी, दाऊद सँ बेबिलोनक बन्दी जीवन धरि चौदह पीढ़ी आ बेबिलोनक बन्दी जीवन सँ उद्धारकर्ता-मसीह धरि चौदह पीढ़ी होइत अछि।
18
यीशु मसीहक जन्मक वृत्तान्त एना अछि—हुनकर माय मरियमक विवाह यूसुफ सँ होयब निश्चित भेल रहनि। मुदा हुनका सभक वैवाहिक जीवनक सम्पर्क होयबा सँ पहिनहि मरियम परमेश्वरक पवित्र आत्मा द्वारा गर्भवती भऽ गेलीह।
19
हुनकर वर यूसुफ धार्मिक विचारक लोक होयबाक कारणेँ, मरियमक कोनो तरहक बदनामी नहि होनि, से सोचि, हुनका चुप-चाप त्यागि देबाक विचार कयलनि।
20
ओ ई बात मोने-मोन सोचिए रहल छलाह कि परमेश्वरक एकटा स्वर्गदूत सपना मे दर्शन दऽ कऽ हुनका कहलथिन जे, “हौ दाऊदक वंशज यूसुफ, तोँ मरियम केँ अपन स्त्री मानि अपना लग आनऽ सँ नहि डेराह! कारण, जे हुनका गर्भ मे छनि से परमेश्वरक पवित्र आत्माक दिस सँ छनि।
21
ओ एकटा पुत्र केँ जन्म देतीह, आ तोँ हुनकर नाम यीशु रखिहह, किएक तँ ओ अपन लोक सभ केँ ओकरा सभक पाप सँ मुक्ति देथिन।”
22
ई सभ एहि लेल भेल जे, परमेश्वरक बात पूरा होअय जे ओ अपन प्रवक्ताक माध्यम सँ कहने छलाह—
23
“देखह, एक कुमारि कन्या गर्भवती होयतीह, ओ एक पुत्र केँ जन्म देतीह आ हुनकर नाम ‘इम्मानुएल’ राखल जयतनि,” जकर अर्थ अछि, “परमेश्वर हमरा सभक संग छथि।”
24
तखन यूसुफ निन्द सँ जागि गेलाह आ परमेश्वरक स्वर्गदूतक आज्ञानुसार मरियम केँ अपना पत्नीक रूप मे अपना ओहिठाम लऽ अनलथिन।
25
ओ मरियमक संग वैवाहिक जीवनक सम्बन्ध ताबत धरि स्थापित नहि कयलनि जाबत धरि मरियम पुत्र केँ जन्म नहि दऽ देलथिन। पुत्रक जन्म भेला पर यूसुफ हुनकर नाम यीशु रखलथिन।
Jump to:
Chapter 1
Chapter 2
Chapter 3
Chapter 4
Chapter 5
Chapter 6
Chapter 7
Chapter 8
Chapter 9
Chapter 10
Chapter 11
Chapter 12
Chapter 13
Chapter 14
Chapter 15
Chapter 16
Chapter 17
Chapter 18
Chapter 19
Chapter 20
Chapter 21
Chapter 22
Chapter 23
Chapter 24
Chapter 25
Chapter 26
Chapter 27
Chapter 28
Chapter 2 →
All chapters:
1
2
3
4
5
6
7
8
9
10
11
12
13
14
15
16
17
18
19
20
21
22
23
24
25
26
27
28